एहि एशिया मे हमर नेपाल
बड सुन्दर, शान्त, विशाल छै
कमल फूल सन मधेश हमर
जेना गगणमे पूर्णिमाक चान छै ।

ई नगरी छै विशेष
करु भिजिट मधेश

रामक सासुर सीताक नैहर
अन्न–धन भरल भण्डार छै
कोशी, कमला छमछम नाचे
जंगल घुमैत हंसराज छै ।

झण्डा, दाहा, माघी, सुकराती
उडि़ रहल रंग गुलाल छै
हिन्दु, मुस्लिम संग पूजैय
आस्थाक पावनि छठि महान छै ।

बारिए झारिए साग उप्जल
तिलकोर लतरल चार छै
आङुर चटैत पाहुन उठता
रान्हल रहुआ, बुआर छै ।

बाबन कुट्टी, बहत्तर कुण्ड
सौराहा, नौलखा, धनुषा धाम छै
एहि ठाम हारम फूल फूले
नायक सलहेशक गाम छै ।

वर–वरी, पृुरी, पिरुकिया
ठोर रंगल मुह मे पान छै
पाथरि अतही पूजल जाइए
स्वागत मे दुभि, धान छै ।

चिरैयाक चुनमुन गावे पराती
सिहकैत सिनेहक बसात छै
श्रद्धा भाव मे डुबल संस्कृति
एत झुकि कऽ करैत प्रणाम छै ।

सुधा मिश्र
जनकपुरधाम -४
धनुषा, नेपाल